गोपालगंज मे जहरीली शराबक सेवन स 13 गोटेक मौत

    0
    278

    गोपालगंज, मिथिला मिरर: बिहारक गोपालगंज मे जहरीली शराबक सेवन स संदिग्ध हालत मे तेरह लोकक मौत भय गेल, जहन कि छह स अधिक लोक गंभीर रूप स बीमार छथि। शराब पीला स भोर धरि मृतकक संख्या सात छल जे बाद मे बढ़ि कय 13 भय गेल।

    घटना नगर थाना के हरखुआ स्थित खजूरवाड़ी के अछि। मृतक शशिकांत नगर थाना के नोनिया टोलीक रहय बला छल। एकटा मृतकक भाई महेशक अनुसार सोमदिन 15 अगस्त क सब गोटे शराब पीबाक लेल खजूरबाड़ी गेल छल।

    नगर थाना क्षेत्रक हरखुआ स्थित चीनी मिलक समीप संचालित एकटा अवैध शराबक भट्ठी पर बहुतो लोक शराब पिलक। लोकक हाल बिगड़बा पर अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल, जाते एखन धरि तेरह लोकक मौत भय गेल। मृतक के परिजनक अनुसार मंगलदिन दुपहरिया मे पेट दर्द और उल्टी भेलाक बाद पीड़ित के सदर अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल छल।

    मृतकों मे परमानंद महतो, मंटू गिरी, उमेश चौहान, शशिकांत, दिनेश महतो, मनोज साह और रामजी शर्मा शामिल अछि। हरखुआ गाम निवासी सोबराती मियां आ दुर्गेश साह सहित अन्य लोग बीमार पड़ल अछि। डीएम राहुल कुमार मामलाक जांचक लेल तीन सदस्यीय कमिटीक गठन केलनि। ओ स्वं देर राति धरि अस्पताल पहुंचि कय मामलाक जांच केलनि।