दरभंगा मे निशुल्क चिकित्सा शिविरक आयोजन

    0
    271

    दरभंगा, मिथिला मिरर: एचएसएआई के दरभंगा यूनिट डॉक्टर हलीम होम्योपैथिक मेडिकल कॉलेज तथा रोटरी क्लब ऑफ मिथिला के संयुक्त तत्वाधान मे डॉ. बी सहनी के 92’म जयंती पर निशुल्क चिकित्सा शिविरक आयोजन कायल गेल। अहि अवसर पर रोटरी क्लब ऑफ मिथिला के अध्यक्ष राघवेंद्र कुमार कहलनि जे, रोटरी क्लब ऑफ मिथिला जरुरतमंद लोकक मददि के लेल समय पर तत्पर रहैत अछि।

    डॉ. एम एस खान राजू कहलनि जे, हमर ई संस्था गरीब एवं जरूरतमंद लोकक समय-समय पर शिविर लगाकय सहयोग करैत अछि। अहि तरह आय निशुल्क चिकित्सा परामर्शक संग-संग निशुल्क दवाई  वितरण, निशुल्क पैथोलॉजी जांच एवं निशुल्क एक्सरे जांचक व्यवस्था संस्थान मे कायल गेल अछि।

    अहि मौका पर निकटवर्ती बहुतो गामक लोक एवं शहर क्षेत्र स सेहो सैकड़ोक संख्या मे महिला एवं पुरुष अहि सेमिनारक लाभ उठेलनि। लगभग 600 मरीजक रजिस्ट्रेशन कराओल गेल।