मुजफ्फरपुरमे शराब माफियाकें पकड़बाक लेल गेल पुलिसक टीम पर हमला

    0
    262

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारमे शराबबंदीक बाद एकर माफिया लगातार सक्रिय अछि। शनिदिन मुजफ्फरपुरमे शराब माफिया पुलिसक टीमकें निशाना बनेलक। अहि दौरान छापेमारी करबाक लेल गेल टीम पर गामक लोक हमला कए देलक आ पुलिसकर्मीकें पिटाई करबाक संग-संग सर्विस रिवॉल्वर सेहो लूटल गेल। सूत्रक अनुसार, पुलिस शराबक बरामदगीके मामलाक आरोपीकें गिरफ्तार करबाक लेल पहुंचल छल।

    अहि दौरान बोचहां थाना पुलिसकें लोकक भारी आक्रोशक सामान करय पड़ल। लोक सब पुलिस टीम पर हमला कए देलक आ दौड़ा-दौडा कए पिटए लागल। अहि दौरान भीड़ एकटा पुलिसकर्मीक रिवॉल्वर सेहो लूटि लेलक।

    पुलिस टीम आरोपी शिक्षक सुंदर लाल सहनीकें गिरफ्तार करबाक लेल पहुंचल छल। ग्रामीण हमलामे घायल दू टा एसआई, एकटा एएसआई समेत पांच पुलिसकर्मीकें बोचहां पीएचसीमे इलाजक लेल भर्ती कराओल गेल।