अलग-अलग सड़क दुर्घटना मे तीन गोटेक मौत चारि घायल

    0
    578

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: सोमदिन अलग-अलग दुर्घटना मे तीन गोटेक मौत भय गेल। घटना समस्तीपुर आ वैशाली के अलग-अलग इलाका के अछि। जाहि मे तीन गोटेक मौत भय गेल आ चारि गोटे घायल भय गेलाह। जानकारी के अनुसार समस्तीपुर के सिंघिया थानाक दुर्गाचौक पर एकटा कार खैद मे खसि पड़ल। जाहि मे एकटा व्यक्तिक मौत घटनास्थले पर भय गेल, जहन कि तीन अन्य घायल भय गेलाह।

    घायल के इलाजक लेल दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल पठा देल गेल। दोसर घटना वैशाली के गोरौल एनएच 77 पर भेल, जाहि मे एकटा ट्रक सं कुचलि कय दू गोट मोटरसाइकिल सवार युवकक मौत भय गेल। दुर्घटना मे एकटा युवक घायल भय गेल, जकरा मुजफ्फरपुर के श्रीकृष्ण मेडिकल कॉलेज अस्पताल रेफर कायल गेल अछि।