अलग-अलग छापेमारी मे शराबक संग पांच गोट तस्कर गिरफ्तार

    0
    280
    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: शराबबंदीक विरूद्ध पुलिस के बृहस्पति दिन पैघ सफलता हाथ लागल अछि। अपर पुलिस अधीक्षक दिलनवाज अहमद गुप्त सूचनाक आधार पर रांची सं दरभंगा आबि रहल बस मे छापामारी कय शराबक बरामदगी केलनि अछि। ओतहि डीहलाही मे आलमीराक लॉकर सं शराब बरामदगी कायल गेल अछि। जाहि मे पांच गोटे के गिरफ्तार कायल गेल अछि, संगहि एकटा मोटरसाईकिल सेहो जब्द कायल गेल अछि।
    बृहस्पति दिन हनुमानगर प्रखंडक विभिन्न क्षेत्र सं विदेशी शराबक 322 बोतल बरामद कायल गेल अछि। सूचना पर सर्वप्रथम विशनपुर थानाध्यक्ष अंजेस कुमार राँची स दरभंगा आबि रहल बसक तालाशी मे 42 बोतल शराबक संग तीन गोटे के गिरफ्तार केलनि। ओतहि तारालाही मे छापामारी के दौरान मनोज कुमार सिंहक बयान पर मोरो थाना, बहादुरपुर, बेंता थाना आ विशनपुर थानाप्रभारीक संयुक्त टीम विशनपुर थाना क्षेत्र के कनैल चौर स्थित पटोरी निवसी चमन के भट्टा सं सात कार्टून विदेशी शराब बरामद केलक अछि।