12 अगस्त क’ होयत सुपौल–अररिया रेल लाइनक शिलान्यास

0
479

सुपौल, मिथिला मिरर : आगामी 12 अगस्त क’ सुपौल–अररिया रेल लाइनक शिलान्यास सुपौल रेलवे स्टेशनसँ कएल जायत।  शिलान्यास रेलमंत्री पीयुष गोयल पटनासँ विडियो कांफ्रेंसक माध्यमसँ करताह। इ जानकारी रेलवेक मुख्य प्रशासनिक अधिकारी, निर्माण ( उत्तर) आलोक बंसल देलाह। श्री बंसल मंगलदिन सुपौल रेलवे स्टेशन पर स्थितिक मुआइना करबाक लेल आयल छलाह संगहि प्रेसकेँ बतौलनि जे सुपौल–अररिया रेल लाइन कोसी क्षेत्रक जनता सभक लेल वरदान साबित होयत। एहि रेल लाइनक लम्बाई लगभग 90 किलोमीटर अछि जकर निर्माणमे करीब 1606 करोड़क लागत आओत।  एहि रेल खंडपर 8टा  क्रासिंग स्टेशन आ 6टा हॉल्ट बनत जकरा बनेबाक लेल लगभग 1750  एकड़ जमीनक आवश्यकता होयत। 360 एकड़ जमीनक लेल अधियाचना दाखिल कएल गेल अछि। जमीन अधिग्रहणक लेल 576 करोड़ रुपैया लागत जे रेलवे वहन करत।  संगहि श्री बंसल कहलाह जे राज्य सरकार जतेक जल्दी जमीन अधिग्रहण करत ओतबे जल्दी काज शुरू भ’ जायत। सहरसा- सरायगढ़ ब्रॉडगेजक काज चलि रहल अछि आ एहि सालक अंत धरि सहरसासँ गढ़बरुआरी तक रेल लाइन चालू क’ देल जायत।