भूतनाथ मंदिरक सड़क जर्जर, आवागमनमे भ’ रहल दिक्कत

0
536

मधुबनी, मिथिला मिरर : राजनगर प्रखंडक मिर्जापुर चौकसँ सिमरी स्थित प्राचीन भूतनाथ मंदिर तक जायवला सड़क जर्जर होयबाक कारण आवागमन दुरूह भ’ गेल अछि । सड़कक खरंजा जगह-जगह उखड़ि जेबाक कारण सगरे थाल आ पिच्छड़ भ’ गेल अछि। एहिसँ  श्रद्धालु लोकनिकें बड्ड बेसी दिक्कतक सामना करय पड़ि रहल छनि। साओन मास होयबाक कारण भूतनाथ मंदिरमे जलाभिषेक लेल काँवरिया आ दर्शनार्थीसभ असहज रूपेँ बाबाक मंदिर धरि पहुँचि पबैत छथि। दशकों पूर्व बनल एहि सड़कपर माटि तक दुर्लभ अछि। राजनगर नागरिक मंचक संयोजिका मोना सर्राफ एहि सड़कक हालसँ जिलाधिकारी आ क्षेत्रीय विधायककेँ  सेहो अवगत करबैत एहि  सड़कके पीसीसी सड़कमे बदलबाक मांग केलथि। बतादी जे एहि सड़कपर प्रसिद्ध प्राचीन बाबा भूतनाथक  मंदिर अवस्थित अछि जतय सालों भरि दर्शनार्थी अबैत रहैत छथि।  खास क’ साओन मासक सभ सोमवारी पिपराघाट स्थित नदीक संगमसँ जल ल’ सैकड़ों कांवरियाक जत्था बाबा भूतनाथकें जल अर्पित करबाक हेतु अबैत छथि। तैं स्थानीय प्रशासनकेँ जल्दिये संज्ञान ल’ एहि सड़कक निर्माण करेबाक चाही।