मैलाम मे हर्षोल्लासक संग संपन्न भेल बाबा नृसिंह’क पूजा, 51 किलोक लड्डू चढ़ौलनि मुखिया

    0
    326

    मधुबनी,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः मधुबनी जिलाक अंधराठाढ़ी प्रखंडक मैलाम गांवमे प्रत्येक वर्ष मनाओल जाइवला बाबा नृसिंह नाथ आ ग्रामदेवता बाबा बगहेल ठाकुरक पूजा शुक्रदिन हर्षोल्लासक संग संपन्न भेल। इ पूजा प्रत्येक बरख जेठ मासमे आद्रा नक्षत्रमे मनाओल जाइत अछि। अहि पूजामे समस्त मैलाम ग्रामवासी अदौकाल सं भाग लैत रहला अछि आ पूजाक दिन बाबाक भव्य पूजा कऽ ढ़ोल-मृदंग संग बाबाक अराधना होइत ऐलनि अछि। पूजामे पूरा ग्रामिण बाबाक स्थानमे एकत्रित भए प्रसाद बनावैत छथि आ भोग लगलाक उपरांत कुमारि, बटुक आ ब्राह्मण भोजन केलाक उपरांत संपूर्ण बस्तिक लोक प्रसाद ग्रहन करैत छथि।
    अहि बेर बाबा पूजामे नव निर्वाचित मुखिया रामनाथ चौधरी अपन मनोकामना पूर्ण भेला पर बाबाकें 51 किलोक एकटा लड्डू प्रसादक रूपमे चढ़ौलनि। महामहोपाध्याय पंडित चित्रधर उपाध्याया द्वारा स्थापित बाबा नृसिंह महिमा नहि सिर्फ मैलाम अपितु आसपासक गाममे जगजियार अछि। बाबाक महिमा एहन छैन्ह जे हुनक नाम लए कियो कखनो मिथ्या शपथ नहि खाइत अछि। प्राचीन काल सं इहो कहल जाइत रहल अछि कि मैलाममे हैजा आ कि कोनो महामारी जल्दी सं नहि होइत अछि कारण बाबा ओहि सं ग्रामीणक रक्षा करैत रहला अछि।

    baba-nrisingh-mailam-madhubani
    अनिल कुमार पाठकक अगुआईमे अहि बेर बाबाक पूजा संपन्न भेलनि जाहिमे विशेश्वर पाठक, भैरव झा, भोला झा, दुर्गानंद झा, उमाकांत झा, सुमन कांत झा, मदन ठाकुर, सरपंच विजय कुमार ठाकुर, बाबा पंडित बौआकांत झा, बालाकांत झा, अशोक कुमार झा, अमित कुमार झा सहित पूरा ग्रामिण बढ़ि-चढ़ि कऽ पूजामे सहभागी भेलाह।

    फोटोः मुकुंद एंव दिवाकर कुमार झा