कराटा चैम्पियनशिप मे 6 गोट खिलाड़ी जितलाह पदक

    0
    266

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर मे आयोजित नेशनल इंडियन जेन टू सीन कराटा चैम्पियनशिप मे बलिया आ बेगुसराय के 6 टा खिलाडी गोल्ड मेडल, सिल्वर मेडल आ कांस्य पदक जीतकय जिलाक नाम रोशन केलनि।

    बिहार के खेलमंत्री शिवचंद्र राम के उपस्थिति मे आयोजित अहि राष्ट्रीय स्तरीय कराटा चैम्पियनशिप मे बलिया प्रखंड क्षेत्र के सुप्रिया कुमारी, नीतीश कुमार गोल्ड मेडल आ मनीष कुमार, अमन कुमार, नीतीश कुमार सिल्वर मेडल तथा सौरभ कुमार कांस्य पदक हासिल केलनि।

    बलिया पहुँचला पर बलिया प्रखंड कार्यालय मैदान मे विजेता खिलाड़ी के बिहार स्टेट कान कराटा के अध्यक्ष कॉंग्रेस नेता राकेश सिंह स्टेट कान के बिहार चीफ अर्जुन कुमार, महामंत्री अविनाश कुमार कोच धर्बेँद्र कुमार पीआरएस सैनिक स्कूल के डायरेक्टर प्रयाग यादव तथा पेक्स अध्यक्ष प्रेम कुमार मिश्रा सम्मानित केलनि।