समस्तीपुर मे पुलिस क्लब के छत खसला सं दरोगा घायल

    0
    503

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर नगर थाना परिसर मे अचानक सं पुलिस क्लब के छत टूटिकय खसि पड़ल। जाहि मे किछु देर के लेल क्लब मे अफरातफरी मचि गेल। छत के खसला सं दरोगा विष्णु प्रसाद गंभीर रूप सं घायल भय गेलाह।

    नगर थाना के पुलिस सं भेटल जानकरी के अनुसार पुलिस क्लब मे पुलिस अधिकारी आराम करबाक लेल गेल छल। अहि दौरान अचानक सं छत के सीलिंग टूटि कय दरोगा विष्णु प्रसाद के उपर खसि पड़ल। जाहि के कारण ओ गंभीर रूप सं घायल भय गेलाह। आनन-फानन मे दरोगा के स्थानीय अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल।