सक्रिय राजनीतिमे प्रियंका गाँधीक एंट्री

0
308

दिल्ली, मिथिला मिरर : भारतीय राजनीतिमे लम्बा समय धरि सत्तामे आसीन काँग्रेस पार्टी पछिला लगभग पाँच सालसँ सत्तासँ बाहर अछि। 2014 लोकसभा चुनावमे भेटल हारसँ उबड़य लेल कांग्रेस पार्टी चारि सालसँ सड़क पर संघर्ष क’ रहल छल। दिसम्बर 2018मे संपन्न भेल तीन राज्यक विधानसभा चुनाव जितलाकेँ बाद कांग्रेसमे आत्मविश्वास बढ़ल अछि। एहिकेँ देखैत काँग्रेस जमीन बनबैक लेल कार्यकारणी समेत पदाधिकारी लोकिनकेँ बेसी जिम्मेदार बना रहल अछि। ओहि कड़ीमे आई काँग्रेस अध्यक्ष राहुल गाँधी अपन बहिन प्रियंकी गाँधी वाड्राकेँ पार्टिक महासचिव नियुक्त केलनि अछि संगे पूर्वी उत्तरप्रदेशक प्रभारी सेहो बनेलथि अछि। लोकसभा चुनावसँ पहिने काँग्रेस एकटा पैघ ट्रंप कार्ड खेललक अछि। काँग्रेस अध्यक्षक एहि कदमकेँ ‘गेम चेंजर’ मानल जा रहल अछि।

चुनावी सालमे प्रियंकाकेँ महत्वपूर्ण पद पर नियुक्तिसँ ज्यादातर पार्टी कार्यकर्ता आशान्वित छथि। उत्तर प्रदेश कांग्रेस समितिकेँ प्रवक्ता पीयूष मिश्रा कहैत छथि जे – “बहुत लम्बा समयसँ पार्टी कार्यकर्ता एहिक माँग क’ रहल छल जे ओ सक्रिय राजनीतिमे अबैथ। एहनमे पूर्वी उत्तर प्रदेशक महासचिव पद पर हुनक नियुक्ति गेम चेंजर साबित भ’ सकैत अछि। एहि फैसलासँ बहुत खुशी अछि आ कार्यकर्तामे नव उत्साह देखल जा रहल अछि। प्रियंका गाँधी पार्टी नेता सभक करीब रहल छथि। एहन मानल जा सकैत अछि जे एहि नियुक्तिक बाद पार्टीक संगठनात्मक स्तर पर बदलाव आबय वला दिनमे भेटत। कांग्रेस नेता राजीव शुक्ला आ मोतीलाल वोरा कहैत छथि जे प्रियंकाक नियुक्तिसँ देशभरीमे काँग्रेस पार्टी फेरसँ वापसी करत। बतादी जे प्रियंका गांधीकेँ महत्वपूर्ण पद पर नियुक्तिक फैसला एहन समय पर लेल गेल जखन राहुल गांधी अपन संसदीय क्षेत्र अमेठीकेँ एक दिवसीय दौरा पर छथि। एतबे नहि समाजवादी पार्टी आ बहुजन समाज पार्टीक गठबंधनमे कांग्रेसकेँ कोनो विशेष भाव नै देल गेल छल। ई कांग्रेस लेल जरूर एकटा चिंताके विषय बनि गेल छल।

प्रियंका गाँधीकेँ अमेठी-रायबरेलीसँ पुरान रिश्ता-नाता छनि। हुनकर तेवर आ कार्यशैली एतयकेँ कांग्रेसक ताकत रहल अछि। लोकसभा चुनावमे ओ अपन खास अंदाजसँ मतदाताक बीच पैठ बनबैत रहलीह। 20 साल पहिने अपन भाषणमे जता देने छलीह जे प्रियंका रायबरेलीकेँ लोक सभके अपन घर परिवार जेना मानैत छथि। भले प्रियंका गांधी कांग्रेसक मुख्य धारामे अखनि धरि नै रहलीह, मुदा रायबरेलीक चप्पा-चप्पा हुनका जनैत छनि। अपन माय लेल वोट माँगय लेल पगडंडिक सहारे गामक गली-गली तक वोटरसँ भेट करब होई वा सभामे भाषण देबाक काज प्रियंका बखूबी निभा रहलीह अछि। यैह कारण अछि जे हुनका ‘काँग्रेसक डंका बेटी प्रियंका’ केँ नामसँ संबोधित सेहो कएल जाइत छनि।

प्रियंका गाँधीकेँ काँग्रेस पार्टीक महासचिव बनला पर बिहार काँग्रेस प्रदेश अध्यक्ष मदन मोहन झा सहित जदयूकेँ राष्ट्रीय उपाध्यक्ष प्रशांत किशोर आ जदयूकेँ प्रदेश अध्यक्ष वशिष्ठ नारायण सिंह सक्रिय राजनीतिमे अयबा लेल प्रियंका गाँधीके बधाई देलनि अछि।  प्रियंकाकेँ सक्रिय राजनीतिमे एबासँ कांग्रेसकेँ कतेक फायदा होयत एहि लेल इंतजारक सिवाय किछु नै कहल जा सकैत अछि।