नोटबंदीक खिलाफ ‘जाप’ के चक्का जाम, जगह-जगह ट्रेनक परिचालन ठप

    0
    391

    पटना, मिथिला मिरर: केंद्र सरकारक नोटबंदीक बाद उत्पन्न स्थिति के खिलाफ पप्पू यादव के जन अधिकार पार्टी मंगलदिन समुच्च बिहार मे चक्का जाम करबाक एलान केलक अछि। जन अधिकार पार्टीक कार्यकर्ता मंगलदिन पटना के राजेंद्र नगर टर्मिनल पर रेल रोकि कय नोटबंदीक विरोध केलक। कार्यकर्ता राजेंद्र नगर टर्मिनल पर अप आ डाउन ट्रेनक परिचालन के बाधित कय देलक।

    जन अधिकार पार्टीक नेता सांसद पप्पू यादव राजेंद्र नगर टर्मिनल पहुंचि कय अप्पन समर्थकक संग ट्रेन रोकलनि जाहि मे अप आ डाउन मे बहुतो ट्रेनक परिचालन बाधित भेल। जन अधिकार पार्टीक कार्यकर्ता आरा स्टेशन पर सेहो डाउन लाइन पर आबि रहल बक्सर-पटना शटल ट्रेन के रोकि देलक आ केंद्र सरकारक खिलाफ नारा लगेलक।

    प्रदर्शन कय रहल जाप कार्यकर्ता नोटबंदीक बाद देश मे लोक के भय रहल परेशानी आ नोटबंदीक कारण भेल मौतक हवाला दैत केंद्र सरकार के विरोध मे नारेबाजी कय रहल छल।