मधेपुर के थानाध्यक्ष तथा एसआइ पर मारिपीटक आरोप

    0
    306

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधेपुर थानाक थानाध्यक्ष रामाशीष कामती एवं एसआई अनिल कुमार सिंह’क द्वारा भीठभगवानपुर गामक युवक नवीन कुमार झा के बेवजह मारिपीट करबाक मामला प्रकाश मे आयल अछि। घटना के बाद पीड़ित के परिजन प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र मधेपुर मे भर्ती करेलक अछि। जतय चिकित्सक डाॅ अफजल अहमद प्राथमिक इलाजक पश्चात माँथ मे अंदरुनी चोट हेबाक बात कहलनि।

    प्राथमिक उपचार के बाद पीड़ित के डीएमसीएच रेफर कय देल गेल। जख्मी नवीन कुमार झाक पत्नी रिंकु देवी के अनुसार गामक एकटा व्यक्ति स जमीन संबंधी विवाद के लय किछु दिन पहिने मारि पीट के घटना भेल छल। जाहि मे परिवारक किछु लोक आरोपी अछि।

    रिंकू देवी आरोप लगेलनि अछि जे, थानाध्यक्ष रामाशीष कामती एसआई अनिल कुमार सिंह पुलिस बलक संग घर पर आबि कय परिजन के विषय मे पूछय लागल, जहन हमर पति पुलिस के कहलनि जे, हम तीन दिन पूर्व लुधियाना स आयलहु परिजनक विषय मे जानकारी नहि अछि त थानाध्यक्ष मारिपीट शुरू कय देलक।