पाग पहिर बहुत बेसी गौरवांवित भय रहलौ अछिः ज्ञान सुधा मिश्र

    0
    303

    दिल्ली-मिथिला मिररः सर्वोच्च न्यायालयक पूर्व न्यायाधीश आ मैथिलानी ज्ञान सुधा मिश्र मिथिलालोकक पाग बचाउ अभियानकें अपन पूर्ण समर्थन दैत अहि पहल कें एकटा सार्थक अभियान कहलनि। पूर्व न्यायाधीश मिथिलालोक मंच सं अहि अभियानक प्रणेता डाॅ. बीरबल झा कें साधुवाद दैत कहलनि जे अहि पहल जतेक प्रशंसा कैल जा ओ कम छैक। अपन संस्मरण उपस्थित श्रोता सं बटैत पूर्व न्यायमूर्ति बजलीह जे समय द्रुत गति सं बदलि रहल छैक आ अहि बदलाव संग जौं हमसब नहि चलब त अपन विकास नहि कय सकब।
    ज्ञान सुधा जी कहली हमरा ओ दिन अहिना याद अहि जखन हम अपना पिताजीक संग दिल्ली वकालत करैय लेल आयल रहि, तखुनका आ अखुनका दुनू समय मे जमीन-आसमानक अंतर छैक। सब समाज तेजी सं अपना आप कें विकसित कय रहल अछि, एहनमे जरूरी छैक जे मैथिल समाज सेहो अपना-आपकें ओहि रूपे विकसित करय। बहुत दिन तक मैथिल नारी कें समाज मे ओ सम्मान नहि भेटल जे ओकरा भेटवाक चाही मुदा अहि तरहें सामूहिक मंच पर जौं बहुतायतक संख्यामे महिला लोकनि पाग पहिर आगू ऐलीह त इ बहुत पैघ संवाद थिक समाज लेल।
    ज्ञान सुधा मिश्र दिल्लीक मैथिलक समाज कें प्रशंसा करैत कहलीह जे दिल्लीमे जाहि तरहें हमरा विभिन्न मैथिल संस्था अपन स्नेह दैत छथि ओहि सं हम बहुत बेसी अनुग्रहित होइत छी। पटनाक संस्था आ मैथिल समाज पर कटाक्ष करैत पूर्व न्यायमूर्ति बजलीह जे पटना त हमरा बिसरी गेल मुदा हम अपना आप कें दिल्लीमे रहि आ एकटा मैथिलानी भय गौरवकें अनुभूति सतत करैत रहैत छी। पाग बचाउ अभियानकें एकटा कारगर अभियान कहैत ज्ञान सुधा मिश्र कहलनी जे डाॅ. बीरबल झाकें इ प्रयास निश्चित रूपहिं मिथिला क्षेत्रमे एंटरप्रेन्योरशिपक एकटा नव मार्ग प्रशस्त करत अहि मे कोनो शक नहि।