टिकट कटला’क बाद भाजपा पार्षदकें दोसर पार्टीक आस

    0
    331

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: दू दिन पहिने दिल्लीमे भाजपा आलाकमान द्वारा वर्तमान पार्षदकेँ टिकट नहि देबाक घोषणाक बाद भाजपाक वर्तमान पार्षद दोसर पार्टी सं टिकटक जोगाड़मे लागि गेल अछि। जाहिमे अधिकांश आम आदमी पार्टी आ कांग्रेसकें सदस्यता लए टिकट लेबाक प्रयासमे जुटल अछि।

    सूत्रक अनुसार दू दिनमे किछु पार्षदक मीटिंग प्रदेश अध्यक्ष अजय माकनकें संग भेल अछि, मुदा एखनहु धरि किछु तय नहि भेल अछि। जहन कि एकटा अन्य सूत्रक अनुसार भाजपा पार्षद पार्टी नेताक संपर्कमे अछि मुदा ई शुरुआती दौरक बातचीत अछि।

    दिल्लीमे तीनू नगर निगममे 272 सीट अछि, जाहिमें सं 139 भाजपा लग अछि, जकर टिकट अहि बेर काटल गेल अछि। आम आदमी पार्टी आब 272 सीटमे सं 248 सीट पर अप्पन उम्मीदवार घोषित कय चुकल अछि, जहन कि कांग्रेस अप्पन एक्को टा उम्मीदवारक नाम नहि घोषित केलक अछि। एहेनमे भाजपाक पार्षदकें कांग्रेस सं टिकट भेटबाक बेसी आस अछि।