विदेश मे काज केनिहारक सुरक्षाक लेल मुखिया केलनि बैसक

    0
    257

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा जिलाक टेकटार पंचायत मे विदेश मे कार्यरत लोकक हित मे एकटा बैसकक आयोजन कायल गेल। बैसक के अध्यक्षता स्थानीय मुखिया चाँद बाबू के नेतृत्व मे कायल गेल। आयोजित बैसक मे विदेश मे कार्यरत लोकक सुरक्षित जीवनक मांगक लेल विचार विमर्श कायल गेल। मुखिया चाँद बाबू किछु सुझाव दैत कहलनि जे, अहि बात पर सरकार के अमल करबाक चाही जे विदेश मे कार्यरत नागरिकक सुरक्षा कोना कायल जाय।

    मुखिया कहलनि जे, विदेश जेबा काल जे एग्रीमेंट पेपर भेटल अछि ओहि के आधार पर सुविधा भेटबाक चाही। यदि कोनो व्यक्ति घातक बीमारीक शिकार होइत अछि त ओकर पूरा जिम्मेदारी सरकार के उठेबाक चाही। यदि कोनो व्यक्ति कोनो कारणवश विकलांग भय जायत अछि त ओकरा पेंशन देबाक चाही।