वाहन चेकिंग के दौरान भारी मात्रा मे कारतूस बरामद

    0
    304

    पटना, मिथिला मिरर: रविदिन पटना पुलिस गुप्त सूचना के आधार पर वाहन चेकिंग के दौरान एकटा हथियार तस्कर के संग कारतूसक जखीरा बरामद केलक अछि। वाहन चेकिंग के दौरान गिरफ्तार आरोपी के नाम संजय कुमार बताओल जा रहल अछि।

    पटना वेस्ट के सिटी एसपी सत्यप्रकाश के नेतृत्व मे कायल गेल कार्रवाई मे गिरफ्तार आरोपी संजय कुमार के संग सं पुलिस 7.62 MM के 214 कारतूस, 8 MM के 320 कारतूसक अलावा AK 47 के तीन टा मैगजीन बरामद केलक अछि। हालांकि अहि कार्रवाई के दौरान दू टा अन्य हथियार तस्कर भगबा मे सफल रहल। गोलीक ई खेप गया स पटना तस्करी के लेल आनल जा रहल छल।