समस्तीपुरमे लीची तोड़बाक लेल गेल नाबालिगकें संग दुष्कर्म

    0
    281

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुरमे नाबालिग बच्चीक संग दुष्कर्मक मामला प्रकाशमे आएल अछि। मामला रोसड़ा थाना क्षेत्र सं जुड़ल अछि। घटनाक विषयमे परिजनकें कहब अछि जे, शुक्रदिन पीड़िता लीचीकें बगानमे लीची तोड़बाक लेल गेल छल जतए गामक एकटा लड़का बच्चीक संग दुष्कर्म केलक।

    दुष्कर्मक बाद लड़की लहूलुहान आ बेहोशीक हालतमे पड़ल रहल। बादमे लोकक नजरि बच्ची पर गेल त परिजन इलाजक लेल स्थानीय अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल। जतय सं डॉक्टर बेहतर इलाजक लेल बच्चीकेँ डीएमसीएच रेफर कए देलक अछि।

    इलाज सं वापस एलाक बाद रोसड़ा पुलिस पीड़िताके बयान पर मामला दर्ज कए कार्रवाई शुरू कए देलक अछि आ पीड़िताकें मेडिकलकें लेल सदर अस्पताल पठा देलक अछि। पुलिस फिलहाल आरोपीकें गिरफ्तारीक लेल छापेमारी कए रहल अछि।