मनपौर पंचायत सं मुखिया पदक लेल नामांकन केलाह बबलू झा

    0
    364

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहारमे मुखिया चुनावक सरगर्मी लगातार मौसमक संग तेज भय रहल अछि। चारू दिस एखन नामांकनक दौर चलि रहल अछि। सब दिस गाजा-बाजाक संग प्रत्याशी लोकनि अपन-अपन नामांकन करेवाक लेल अपन दल-बलक संग जा रहला अछि। मंगलदिन अर्थात 15 मार्च कऽ मनपौर पंचायत सं मुखिया पदक लेल मनपौर निवासी बबलू झा सेहो मुखिया पदक लेल अपन नामांकन केलाह।
    बबलू झा केर नामांकन मे भारी संख्यामे स्थानीय लोकनिक समर्थन भेटल आ पूर्ण उमंगक संग हुनका नामांकन मे स्थानीय जनता उपस्थित भेलाह। मिथिल मिरर सं बातचीत करैत बबलू झा कहला जे अगर स्थानीय जनता हमरा प्रति विश्वास जतौता त हम निश्चित रूपसं हम हुनका लोकनिक विश्वास पर ठाढ़ उतरबनि। मुखिया स्थानीय जनताक प्रतिनिधित्व करैत अछि आ एहन मे आम आ गरीब गुरबाकें मदद केनाई हमर प्राथमिकता मे रहत।