मुजफ्फरपुर सं अगवा स्वर्ण व्यापारी मोतिहारी सं बरामद

    0
    266

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मोतिहारी पुलिस के आय बहुत पैघ सफलता हाथ लागल अछि। पुलिस मुजफ्फरपुर सं अगवा स्वर्ण व्यवसायी के बरामद कय लेलक अछि। छापेमारी के दौरान पुलिस एकटा पिस्टल, एक टा कट्टा आ चारि टा गोली बरामद केलक अछि। अहि दौरान अपराधी के संग सं फिरौती मांगय मे प्रयोग कायल गेल सिम आ मोबाइल सेहो बरामद कायल गेल अछि। ज्ञात हो कि राजेपुर सं अपराधी स्वर्ण व्यवसायी दीपक साह के अगवा केने छल।

    अहि घटना मे संलिप्त दू टा महिला समेत सात गोट अपराधी के गिरफ्तार कायल गेल अछि। अहि घटना के मास्टर माइंड शिवहर जिला शाहपुर निवासी राजेश राय छल। ओ 22 अक्टूबर क मुजफ्फरपुर के सिवाईपट्टी चौक स्थित अप्पन दोकान सं घर आबि रहल छल, तहने स्वर्ण व्यवसायी दीपक के अपहरण केने छल।

    पूर्वी चम्पारण के एसपी जितेंद्र राणा के अनुसार पुलिस के शिवहर जिला के तरियानी के समीप बागमती के कछेर सं अपहृतक आधार कार्ड, चप्पल समेत अन्य कागजात भेटल छल। बाद मे एसआईटी टेक्निकल सेलक मददि सं मामला के खुलासा कायल गेल। ओ कहलनि जे पू्र्व मे अपहरण के अहि घटना मे शामिल चारि टा अपराधी के गिरफ्तार कय जेल भेजल जा चुकल अछि।