बस पलटला सं 5 गोटेक मौत, 50 सं अधिक घायल

    0
    262

    मिथिला मिरर: बिहारक नवादामे सोमदिन भोरमे एकटा सड़क हादसामे 5 गोटेक मौत भए गेल जहनकि 50 सं अधिक लोक घायल भए गेल। घायलमे सात गोटेक हालत नाजुक बताओल जा रहल अछि। घटना भोर पांच बजेक अछि।

    हादसामे घायल 30 गोट मरीजकें रजौली अनुंडलीय अस्पताल आ लगभग 23 गोटेकेँ नवादा सदर अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल अछि। जानकारीके अनुसार बस कोलकाता सं बिहारशरीफ आबि रहल छल।

    फिलहाल घटना स्थल पर रजौली पुलिस पहुंच गेल अछि आ बसक रेस्क्यू कय निकालल जा रहल अछि। अधिकांश यात्री नवादाके बुधौलक रहए वला अछि आ सब मजदूरी कए घर आबि रहल छल।