लड़कीक हॉस्टल मे लड़का चौकीदार रहला पर बलात्कार हेबे करत: प्रेम कुमार

    0
    318
    दरअसल बीजेपी नेता प्रेम कुमार वैशाली के एससी-एसटी छात्रावास मे रहि रहल 10वींक छात्राक संदिग्ध परिस्थिति मे भेल मौत के बाद मुआयना करबाक लेल गेल छलाह।

    ज्ञात हो कि दू दिन पहिने रालोसपाक विधायक ललन पासवान द्वारा स्कूल मे छात्राक संदेहास्पद मौत के बाद छोट-छोट बच्ची स आपत्तिजनक सवाल पूछने छलाह। अहि बाबत प्रेम कुमार स पूछल गएले त ओ कहलनि जे, जनप्रतिनिधि हो या आम आदमी, ककरो अइ बच्ची सब सं आपत्तिजनक सवाल पूछबाक अधिकार नहि अछि।

    अहि के बाद ओ कहलनि जे, जा धरि लड़कीक स्कूल, कॉलेजों मे पुरुषोक नियुक्ति होईत रहत, टा धरि एहेन घटना होइत रहत। प्रेम कुमार बिहार सरकार स मांग केलनि जे, लड़कीक स्कूल, कॉलेज स अविलंब पुरुष के हटाओल जाए आ महिलाक नियुक्त कायल जाए।