पेंशन लेबाक लेल बैंक आयल महिलाक मौत

    0
    287

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: केंद्र सरकार द्वारा नोटबंदीक घोषणाक बाद बैंक सं राशि निकासीक दौरान मौतक सिलसिला जारी अछि। बृहस्पति दिन दरभंगा के हनुमाननगर के विशनपुर में उत्तर बिहार ग्रामीण बैंक शाखा पर एकटा 68 बर्षीय वृद्धाक मौत भय गेलनि।

    बैंकक कार्यकारी शाखा प्रबंधक मनीष कुमार के अनुसार, उक्त महिला वृद्धावस्था पेंशनक राशि भुगतानक लेल अप्पन पुतोहु के संग रिक्शा सं बैंक आयल छली। राशि भुगतान संबन्धी फॉर्म भरबाक बाद अंगूठा निशान लेबा बेर मे महिला मृत पाओल गेली। मृतक विशनपुर थाना क्षेत्रक रुपौली निवासी महेंद्र रामक विधवा मां रामो देवी छली।