जे अन्‍नाकें नहि भेल ओ दिल्‍लीक जनताकें कोना होएत : मनोज तिवारी

    0
    277

    दिल्ली,मिथिला मिरर: अपन परंपरागत प्रतिद्वंदी कांग्रेसकें लगातार दू बेर पराजित कय भाजपा दिल्ली नगर निगममे दस साल सं काबिज अछि। आम आदमी पार्टीके पहिल बेर निगम चुनावमे उतरला सं दिल्लीक सियासी समीकरण पूर्ण तरहे बदलि गेल अछि। आब जहन रविदिन मतदान होबए वला अछि त भाजपा प्रदेश अध्यक्ष मनोज तिवारी केजरीवालक पर निशाना साधैत कहलनि जे, अपन गुुरु अन्नाकें नहि भेल ओ दिल्‍लीक जनताकें कोना होएत। ओ कहलनि जे, केजरीवाल अन्‍ना हजारेक आंदोलनक राजनीतिक लाभके लेल दुरुपयोग केलनि।

    मनोज तिवारी कहलनि जे, भाजपाक पार्षद बेहतरीन काज केलक अछि। लोक ‘आप’ के दू वर्षक भ्रष्टाचार आ अराजक शासन तथा कांग्रेसक 15 वर्षक लूटकें देखैत अछि। दिल्लीवासीकें विश्वास अछि जे, दिल्ली आए बचल अछि त निगमके कारण। सब पार्षद एकजुट भए पार्टीक जीतक लेल काज कए रहल अछि।

    ओ कहलनि जे, ‘आप’ आ कांग्रेस आपसमे अस्तित्व बचेबाक लड़ाई लड़ि रहल अछि। भाजपाक लड़ाई त गरीबी, गंदगी आ भ्रष्टाचार सं अछि। दिल्लीकें अहि बुराइ सं मुक्त करब भाजपाक लक्ष्य अछि।