बिहारकें बाहर अस्तित्वक विस्तारमे जुटल जदयू

    0
    331

    पटना, मिथिला मिरर: धर्मनिरपेक्ष मतक बंटवाराक आशंकाकें मद्देनजर उत्तर प्रदेश चुनावमे भाग नहि लेबाक बाद जदयू एक बेर फेर अन्य राज्यमे सक्रियता बढ़ा रहल अछि। पार्टी दिल्ली महानगर निगम चुनावमे अपन 98 उम्मीदवार उतारि रहल अछि। ओतहि, महाराष्ट्रमे 22 अप्रैल कए कार्यकर्ता सम्मेलन आयोजित करबाक तैयारीमे अछि। जदयूक राष्ट्रीय अध्यक्ष नीतीश कुमार अहि सम्मेलनकें स्वं संबोधित करताह।

    दिल्लीक नगर निगम चुनावमे सक्रियताक मकसद सं पार्टीक विस्तार देबाक अछि। दरअसल, जदयू राष्ट्रीय दलक दर्जा पेबाक लेल बिहार सं बाहर सेहो अपन सक्रियता बढ़ा रहल अछि। पार्टीक मानब अछि जे, संगठनकें नब आधार देबाक पश्चात विधानसभा चुनावमे पार्टीक उम्मीदवारकें जीत दिलाओल जा सकैत अछि।

    दिल्ली नगर निगम चुनावमे पार्टीक उम्मीदवारके पक्षमे प्रचारक लेल जदयूक राष्ट्रीय महासचिव आरसीपी सिंह, श्याम रजक एवं संजय झाक अलावा बिहार सरकारक मंत्री श्रवण कुमार, महेश्वर हजारी, मंजू वर्मा, शैलेश कुमार, संतोष कुमार निराला एवं कृष्णनंदन प्रसाद वर्मा, विधान पार्षद प्रो. रणवीर नंदन, सीपी सिन्हा, प्रवक्ता संजय सिंह सहित बहुतो वरिष्ठ नेता कैंप कए रहल छथि।