29 टा बाल मजदूर मुक्त, तीन टा दलाल गिरफ्तार

    0
    256

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा जिलाक सकरी स्टेशन स रेल पुलिस मंगलदिन 29 टा बाल मजदूर के मुक्त करा कय तीन टा लोक के गिरफ्तार केलक अछि। रेलवे सुरक्षा बल प्रभारी अजय प्रकाश कहलनि जे, सूचना भेटल छल जे किछु लोक पैघ संख्या मे बाल मजदूर के लय क 12563 अप जयनगर-नई दिल्ली स्वतंत्रता सेनानी एक्सप्रेस स दिल्ली होईत हरियाणा जेबाक तैयारी मे अछि। अहि आधार पर सकरी स्टेशन पर आरपीएफक टीम संदिग्ध हालत मे ट्रेनक इंतजार कय रहल किछु बच्चा सं पूछताछ केलक टी मामलाक खुलासा भय गेल।

    फोटो: काल्पनिक