पांच साल मे तैयार होयत पटना मेट्रो रेल परियोजना

    0
    303

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार सरकार पटना मेट्रो रेल परियोजना के काज प्रारंभ कय देलक अछि। बताओल जा रहल अछि जे, अगिला पांच साल मे अहि परियोजना के तैयार कय लेल जायत। सूत्रक अनुसार अहिके निर्माणक जिम्मा राइट्स नमक एजेंसी के देल गेल अछि।

    अहि मामला मे नगर विभाग आ आवास विभाग के प्रधान सचिव चैतन्य प्रसाद कहलनि जे, परिचालन के आकलनक जिम्मेदारी राइट्स कंपनी के देल गेल अछि। ज्ञात हो कि पटना मेट्रो के सगुना (दानापुर) स पटना जंक्शन होईत मीठापुर 16.9 किमी आ पटना जंक्शन स गांधी मैदान होईत बैरिय (बस अड्डा) धरि 14.2 किमी तक विस्तार कायल जायत।