राजगीरमे बनत 99 एकड़मे बिहारक पहिल अंतर्राष्ट्रीय स्टेडियम

    0
    419

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक राजगीरमे जल्दिये अंतरराष्ट्रीय स्टेडियमकें निर्माण शुरू होएत। मंगलदिन कैबिनेटक बैसकमे अहि स्टेडियमके लेल 99 एकड़ जमीन देबाक निर्णय लेल गेल। नीतीश कुमारक अध्यक्षतामे भेल बैसकमे कुल 43 एजेंडा पर सहमति देल गेल। राज्यकर्मीकें 7’म वेतनमान आयोगक अनुशंसाक आधार पर नव वेतनमान देबाक लेल गठित वेतन आयोगक कार्यकालकें सेहो दू महिनाक लेल बढेबाक निर्णय लेल गेल।

    बैसकमे आर्यभट्ट विविमे तीन नव कोर्स शुरू करबाक सेहो मंजूरी देल गेल, जाहिमे जर्नलिज्म, पाटलिपुत्र स्कूल ऑफ़ इकोनॉमिक्स आ रिवर स्टडी शामिल अछि। तीनू कोर्सक लेल 103 करोड़ रुपैया स्वीकृत कएल गेल।