मांग’क समर्थनमे पंचायत सचिवक धरना

    0
    250

    सुपौल, मिथिला मिरर: सातम वेतन आयोगक अनुशंसाकें लागू करबाक मांग सहित अन्य बहुतो मांगोक लेल सोमदिन बिहार राज्य पंचायत सचिव संघ जिला शाखा सुपौलक बैनर तर पंचायत सचिव सब समाहरणालय पर धरना दय मांग पर सहानुभूति पूर्वक विचार करबाक बात कहलनि। अशोक मंडलक अध्यक्षतामे आयोजित धरनाकें संबोधित करैत वक्ता कहलनि जे, पंचायत सेवा नियमावली 2010 अधिसूचना संख्या 1939/12.3.2010 कें निरस्त कएल जाए।

    पंचायत सचिवक पंचायत सचिव सं प्रखंड पंचायती राज पदाधिकारीमे प्रोन्नति देल जाए, पंचायत सचिवकें रिक्त पदकें अविलंब भरल जाए। वक्ता कहलनि जे, पंचायत सचिवक राज्यमे परिवहन भत्ता भेटबाक, अन्य विभागीय काज सं मुक्त कएल जाए तथा पंचायत सचिवक पदनाम बदलि कय पंचायत राज पदाधिकारी कएल जाए। धरना उपरांत राज्य सं संबंधित ग्यारह मांगकें एकटा ज्ञापन आ स्थानीय मांगक पांच सूत्री एकटा ज्ञापन जिलाधिकारीकें समर्पित कएल जाए।