नीतीशक आश्वासन, शराबीक परिजन पर नहि होयत कार्रवाई

    0
    254

    पटना, मिथिला मिरर: मुख्यमंत्री नीतीश कुमार गोपलागंज मे शराब सेवन स मारल गेल लोकक परिजन के विश्वास दियौलनि जे, यदि सब सच बजैत होयब त किनको पर कार्रवाई नहि कायल जायत। बल्कि दोषी के सजा दियाओल जायत। मुख्यमंत्री कहलनि जे, जहरीली शराब स मौतक पुष्टि भेल त मृतक के परिजन के चारि-चारि लाखक अनुग्रह अनुदान देल जायत।

    मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक अनुसार डीएम के कहि देल गेल अछि जे, ओ मीडिया मे मृतकक परिजन द्वारा देल गेल बाइट के सेहो आधार बनाबथ। ओ कहलनि जे, तह तक जा कय दोषी के पता लगाओल जेबाक चाही। फिलहाल प्रत्यक्ष त नहि मुदा परिस्थितिजन्य (सर्कमस्टांसियल एविडेंस) एहेन लागि रहल अछि जे, अपवाद मे एक-दू टा के छोड़ि कय बाकीक मौत कतहु ने कतहु जहरीली शराब स भेल अछि।