रालोसपा केलक सांसद अरुण कुमार आ विधायक ललन पासवान के निलंबित

    0
    269

    पटना, मिथिला मिरर: राष्ट्रीय लोक समता पार्टी मे किछु दिन पहिने उभरल विवाद कम हेबाक नाम नहि लय रहल अछि। ताजा घटनाक्रम मे रालोसपा अप्पन एकटा सांसद आ एकटा विधायक के पार्टी स निष्कासित कय देलक।

    पार्टी आय जहानाबाद स सांसद डा. अरूण कुमार आ विधायक ललन पासवान के निलंबित केलाक संगहि पूर्व महासचिव विनोद कुशवाहा के सेहो पार्टी से बाहर करबाक फैसला लेलक। अहि स पहिने दिल्ली में शुक्रदिन रालोसपा प्रमुख उपेंद्र कुशवाहाक आवास पर अहम बैठक बजाओल जलक छल।

    बैठक मे केंद्रीय मंत्री उपेंद्र कुशवाहा, सांसद राम कुमार शर्मा, शिवराज सिंह, शंकर आजाद आ फजल इमाम मल्लिक मौजूद छलाह। अहि दौरान रालोसपाक अनुशासन समितिक अध्यक्ष राम कुमार शर्मा तीनू नेता के पार्टी स निलंबन करबाक सिफारिश केलनि।

    अहि से पहिने इससे 17 अगस्त क पटना मे आयोजित एकटा कार्यक्रम मे पार्टीक पूर्व बिहार प्रदेश अध्यक्ष आ जहानाबाद स सांसद डॉ अरुण कुमारक गुट उपेंद्र कुशवाहा के राष्ट्रीय अध्यक्षक पद स हटा क सांसद अरुण कुमार के पार्टीक नव राष्ट्रीय अध्यक्ष घोषित कय देने छल।