10 अगस्त 2016 तीन सफलतम बरख पूर्ण, मिथिला मिरर विशिष्ट सम्मान शीघ्र

    0
    272
    दिल्ली-मिथिला मिरर: 10 अगस्त 2016 क मिथिला मिरर अपन तीन सफलतम बरख पूर्ण केलक। इ सर्वविदित अछि की मैथिली भाषामे पत्रकारिता करब सहज नहि अछि ओहि स्थितिमे मिथिला मिरर मैथिली मीडिया केँ व्यावसायिक पत्रकारिताक पहिचान देवाक पूरजोर कोशिश केलक अछि। सिमित संसाधन आ नानान तरहक बाधा केँ पार करैत मिथिला मिरर इ साबित क देलक जे मैथिली मीडियाक भविष्य उज्जवल अछि।
    तीन सफलतम् बरख पूर्ण भेलाक अवसर पर मिथिला मिररक संपादकीय बोर्ड मिथिला मिरर विशिष्ट सम्मान 2015-16 केर घोषणा सेहो केलक अछि। सम्मानक आयोजन तिथी आ स्थान शीघ्र अपने लोकनिक सोंझा राखल जाएत। मिथिला मिरर सम्मान सहर जमीन पर काज केनिहार आम मैथिलजनकें भेटैत अछि जे मिथिला सहित विश्व भरिमे मिथिलाक नाम रोशन करैत छथि।
    पूर्व आ वर्तमानमे मिथिला मिरर सम्मानक पाछा संस्थाक कोनो तरहक राजनीतिक आर्थिक स्वार्थ सिद्धीक कोनो योजना नहि रहल अछि। अहु बेर मिथिला मिरर सम्मान ओहने व्यक्तिकें देल जेतनि जे वास्तवमे समाजक लेल काज कए रहला अछि। अहि बरख जाहि व्यक्ति नामक घोषणा हैत ओकरा लेल ज्यूरी मंडल बैस विचार करताह मुदा मिथिला मिररक संपादकक दिस सं पहिल नाम मिथिलाक सपूत भोगेन्द्र शर्मा निर्मलक छन्हि। अन्य नामक घोषणा सेहो तिथि आ स्थान घोषणा बाद कए देल जाएत।
    अपने कें बता दी जे अगस्त 2015 आ मार्च 2016 मे मिथिला मिरर कें संपादकक माता-पिताक आकस्मिक निधन केर कारण 2015 केर मिथिला मिरर विशिष्ट सम्मान 2015 केर आगू बढ़ा देल गेल छल।