ट्रैफिक व्यवस्था सुधारबाक लेल दरभंगा मे विशेष अभियान

    0
    236

    दरभंगा, मिथिला मिरर: शहरक लचर ट्रैफिक व्यवस्था के सुदृढ़ करबाक लेल रविदिन लहेरियासराय थाना मे एएसपी दिलनबाज अहमदक अध्यक्षता मे बैसक कायल गेल। जाहि मे सड़क कात लगाबय वला बैतरकिब वाहन के जब्त करबाक आदेश देल गेल। संगहि दरभंगा टावर पर रोजना अभियान चलाकय अतिक्रमणकारी व अवैध पार्किंग के खिलाफ कार्रवाई करबाक बात कहल गेल।

    बेहतर ट्रैफिक व्यवस्थाक लेल शहरक बहुतो जगह बांटिकय पुलिस बल के तैनात करबाक बात कहल गेल अछि। नगर निगम स यथासंभव मदद लय कय अभियान चलेबाक लेल कहल गेल अछि। सड़क कात स अतिक्रमण के हटेबाक लेल बुलडोजर चलेबाक तैयारी पर चर्चा कायल गेल अछि।

    अनाधिकृत जगह पर टेम्पू के रोकबा पर कार्रवाई करबाक बात कहल गेल। वन वे’क उल्लघन करय वला पर सख्ती स पेश एबाक बात सेहो कहल गेल। बैसक मे लहेरियासराय थानाध्यक्ष दीनानाथ मंडल, नगर थानाध्यक्ष अजित कुमार, विश्वविद्यालय थानाध्यक्ष रमेश दुबे सहित बहुतो पुलिस पदाधिकारी उपस्थित छलाह।