भागलपुर मे स्कूली बच्चा निकाललक सड़क सुरक्षा जागरूकता रैली

    0
    251

    भागलपुर, मिथिला मिरर: नगर निगम क्षेत्रक करीब डेढ़ दर्जन उच्च एवं मध्य विद्यालय के चारि हजार बच्चा बुधदिन सैंडिस कंपाउंड सं सड़क सुरक्षा जागरूकता रैली निकाललक। बच्चाक संग सम्बंधित विद्यालयक शिक्षक-शिक्षिका सेहो संग चलि रहल छल।

    हाथ मे तख्ती, बैनर लेने बच्चा सब जन-जन के यातायात नियमक पाठ पढ़ा रहल छल। जाहि मे ई बताओल जा रहल छल जे, बिना हेलमेट मोटरसाइकिल नहि चलेबाक, वाहन चलेबा काल मोबाइल पर बात नहि हो। दुर्घटना सं बचबाक लेल सड़क के बांया भाग मे चलबाक जरुरत पर जोर देल गेल। ई विशाल रैली तिलकामांझी कचहरी चौक, घंटा घर होइत शिक्षक प्रशिक्षण कॉलेज मे संपन्न भेल।

    अहि सं पूर्व रैलीक सैंडिस कंपाउंड सं डीटीओ संजय कुमार एवं जिला शिक्षा पदाधिकारी फूल बाबू चौधरी हरी झंड़ी दिखा कय विदा केलनि।किया।