पेपर लिक भेलाक बाद ‘अभाविप’ मुख्यमंत्री’क पुतला जरौलक

    0
    267

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहार कर्मचारी चयन आयोगक इंटर स्तरीय परीक्षा पेपर कथित रूप सं लीक भेला तथा अन्य मांगक समर्थन मे अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद रविदिन झंझारपुर कोर्ट चौक पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक पुतला जरौलक। परिषदक छात्र बिहार मे व्याप्त शैक्षणिक अराजकता एवं भ्रष्टाचार के आरोपित कय रहल छल। ई पुतला दहन कार्यक्रम परिषदक नगर इकाई झंझारपुर द्वारा कायल गेल।

    परिषद्जि के ला संयोजक गीतेश झा कहलनि जे, लगातार 11 वर्षो स अधिक स मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक हाथ मे सत्ताक बागडोरअछि, मुदा सूबे मे शैक्षणिक अराजकताक आलम अछि। सरकार कर्मचारी चयन आयोग द्वारा लय वला परीक्षा सेहो सदाचार युक्त वातावरण मे नहि करवा पाबि रहल अछि। जाहि सं राज्यक बाहर बिहारक छवि बदनाम भय रहल अछि।

    परिषद अहि परीक्षा के रद्द करबाक संग-संग उच्च शिक्षा मे गुणात्मक सुधार हेतु विषयवार व्याख्याताक नियुक्ति के मांग केलक अछि ताकि उच्च शिक्षा मे छात्र-छात्राक पढ़ाई समुचित वातावरण मे भय सकय। पुतला दहन कार्यक्रम एवं संबोधन मे हिमकर कौण्डिल्य, नगर अध्यक्ष शंकर झा, चेकितान कौण्डिल्य, जितेन्द्र शारदी, विश्वदेव आनन्द, सुमित कुमार झा, अभिनव ठाकुर, अभिजीत कुमार आदि मौजूद छल।