मुजफ्फरपुर मे RTI के तहत सूचना देबाक बदले मांगल गेल 24 लाख टाका

    0
    271
    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: सूचना के अधिकार (आरटीआइ) के तहत जानकारी मांगय पर मुजफ्फरपुर के स्वास्थ्य विभाग 24 लाख रुपैया मंगलक, ताकि सूचना मे मांगल गेल कागजात उपलब्ध कराओल जा सकय। कागजातक पृष्ठक संख्या विभाग दिस सँ 12 लाख बताओल जा रहल अछि।
    एतेक रुपैयाक नाम सुनि क आवेदक न्यायालय के शरण लेलक, न्यायालय मामला मे बीचक रस्ता निकालैत आवेदक के फोटो स्टेट मे सूचना देबाक जगह सम्बंधित फाइल देखेबाक आदेश जारीकेल, तथा विभागक सामर्थ्य के अनुसार फोटो स्टेट उपलब्ध करेबाक लेल कहलक अछि।
    पश्चिमी चंपारण के रामनगर के रहय वाला नरेन कुमार राय स्वास्थ्य विभाग मे आरटीआइ देने छलाह। अहि मे 2005 सं एखन धरि तक के विभाग सं सम्बंधित विभिन्न जानकारी मंगने छल। नरेन कुमार सूचनाक इंतजार कय रहल छल। अहि बीच स्वास्थ्य विभाग दिस सं जानकारी देल गेल जे, जे सूचना ओ मंगलक अछि ओ 12 लाख पेजक अछि, जकर सत्यापन कय देबा मे फोटो कॉपीक खर्च 24 लाख रुपैया आओत। ताहि कारने 24 लाख रुपैयाक ड्राफ्ट विभाग मे जमा कराओल जाय, ताकि सूचना उपलब्ध कराओल जा सकय।