बैंक सं रुपैया निकालबा मे असफल ग्राहक केलक सड़क जाम

    0
    373

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुर मे बैंक सं रुपैया निकासी नहि हेबाक कारने आक्रोशित लोक जमिकय हंगामा केलक आ समस्तीपुर-रोसरा मार्ग के जाम कय देलक, जाहि सं यातायात प्रभावित भय गेल। मामला समस्तीपुर के मुफ्फसिल थाना क्षेत्रक लखी चौकक अछि, जतय बैंक ऑफ इंडिया मे रुपैया निकासी करबाक लेल पहुंचल लोक जमि कय हंगामा केलक।

    हंगामा कय रहल लोकक कहब छल जे, चारि दिन स ओ बैंकक चक्कर लगा रहल अछि मुदा रुपैया नहि देल जा रहल अछि। कियो अप्पन बेटीक विवाहक लेल त कियो अप्पन मृत परिजनक श्राद्ध कर्मक लेल रुपैया निकालबाक लेल पहुंचा छल। मुदा बैंक मे रुपैया नहि हेबाक कारण लोक के भुगतान नहि भय पाबि रहल अछि।

    मौका पर मुफ्फसिल थाना पुलिस पहुंच कय मामला के शांत करबेलक। लगभग तीन घंटा बाद समस्तीपुर रोसरा मार्ग पर लागल जाम समाप्त भेल। बैंक ग्राहक लालबाबू राय कहलनि जे, हमरा घर मे श्राद्ध अछि, मुदा ओ रुपैया नहि निकालि पाबि रहल छथि।