मारिपीटक घटनामे एक दर्जन सं अधिक लोक घायल

    0
    293

    मधुबनी, मिथिला मिरर: अड़ेर थानाक मुरैठ गाममे जमीनी विवाद आ पूर्व दुश्मनीक कारण भेल मारिपीटक घटनामे एकहि पक्षक दर्जनो लोक गंभीर रूप सं जख्मी भए गेल। जाहिमे आधा दर्जन जख्मी लोकक हालत नाजुक देखि समुचित इलाजक लेल डीएमसीएच रेफर कए देल गेल। जानकारीक अनुसार मुरैठ गाममे मो. हाफिस सोहान तथा मो. अजीमक बीच जमीन संबंधित विवाद पूर्व सं चलि रहल छल। जतए प्रशासन द्वारा उक्त जमीन पर धारा 144 आ दुनू पक्ष पर 107 कें प्रक्रिया चलि रहल छल।

    विवादित जमीन कलुआही थाना क्षेत्रमे पड़ैत अछि, ओतहि मारिपीटक घटना स्थल अड़ेर थाना क्षेत्रमे अछि। रविदिन मो. अजीमक समर्थक लाठी-डंडाक संग मो. हाफिस सोहानके घरमे घुसिकए परिवारक लोककेँ संग मारिपीट केलक। ओतहि घरमे राखल सामानकें यत्र-तत्र फेंकि देलक। मारिपीटमे एकटा वृद्धाक हाथ पैर तोड़ल गेल। घरक महिलाक संग सेहो मारिपीट कएल गेल।

    मारिपीटक घटनामे मो. फारूक, मो. साफिर, मो. निसार, मो. नौशाद, जैतून खातून, अब्दुल्ला सोहान, मो. ईमरान, मो. फैयाज आलम, सर्फराज, मो. बसीम, रौशन खातून सहित एक दर्जन सं अधिक लोक गंभीर रूप सं घायल अछि।