विपक्ष पर नीतीशक तंज, पूछलनि-1990 सँ 2005 धरि कतेक भेल काज, मुद्दाविहीन विपक्ष लग नै अछि कोनो जवाब

0
668

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी रंग देखना जा रहल अछि। सत्ताधारी दल होई वा विपक्ष दुनू चुनावी रंग मे रंगल जा रहल अछि। विधानसभा चुनाव सँ पहिने केंद्र आ राज्य सरकार बिहारक जनता पर मेहरबान अछि। चुनावी सौगात क़िस्त दर किस्त जारी कएल जा रहल अछि। एहि कड़ी मे मंगलदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पथ निर्माण विभागक कार्यान्वित 4733 करोड़ केँ लागत सँ 200 योजनाक शिलान्यास कएलनि। संगे स्वास्थ्य विभागक कुल 2814.47 करोड़ टाका केँ 77 परियोजना आ एहि सँ इतर जल संसाधन विभागक योजनाक शिलान्यास आ उद्घाटन कएलाह। एतबे नहि पर्यावरण, वन एवं जलवायु परिवर्तन विभागक कुल पांच ईको पर्यटन, पटना विश्वविद्यालय, लॉ कॉलेजक घाट पर राष्ट्रीय डॉल्फिन शोध संस्थानक शिलान्यास, सहकारिता विभाग द्वारा मुख्यमंत्री हरित कृषि संयंत्र योजनाक शुरुआत, पटना मेट्रो रेल परियोजनाक कार्यारंभ कएलनि।

एही सभ योजनाक उदघटना आ शिलान्यास वर्चुअल माध्यम सँ कएल गेल। कार्यक्रम केँ संबोधित करैत विपक्ष पर निशाना सधैत कहलाह जे 1990 सँ 2005 तक ओ सभ जे सत्ता मे छलाह कोनो काज नहि कएलाह। हुनका सभके मात्र बात बनबै अबैत छनि। मात्र ओ सभ आलोचना क’ सकैत छथि। जनतब जे इशारा तेजस्वी यादव पर छल, जे हरेक दिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सँ कोनो ने कोनो मुद्दा पर सवाल करैत रहैत छथि।

मुख्यमंत्री कहलनि जे जनता हमरा मौका देलनि सेवा करबाक त’ हम सेवा मे लागल छी। सेवा करब हमर धर्म थिक। बिहार आगू बढ़ी रहल अछि आ आबय वला समय मे बिहार विकसित राज्य मे शामिल भ’ जायत। हमर संकल्प अछि न्यायक संग विकास। जे समाजक वर्ग उपेक्षित छथि हुनका मुख्यधारा मे जोड़ब हमर कर्तव्य थीक आ हम अपन कर्तव्यक निर्वहन क’ रहल छी। विपक्ष पर हमलावर होइत पूछलाह जे जाहि पलायन आ रोजगार केँ ल’ सरकार सँ सवाल कएल जाइत अछि ओ तत्कालीन सरकार सँ सवाल किएक नहि करैत अछि। हम 15 सालक जवाब देबाक लेल जिम्मेदार छी, की विपक्ष 1990 सँ 2005 केँ बीच भेल काजक जबाब देबाक लेल तैयार अछि।