बेगूसरायमे खनन माफियाकें बीच वर्चस्वक लेल गोलीबारी

    0
    282

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: बिहारक बेगूसरायमे रविदिन खनन माफियाकें बीच जमि कय बंदूक चलल। मामला अवैध मिट्टी खनन सं जुड़ल उपजल विवादकें लय दू गुटक बीच गोलीबारी। गोलीबारीक घटनामे एकगोट मजदूर गंभीर रूप सं घायल भय गेल अछि, जकरा इलाजक लेल सदर अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल अछि। घटना मुफ्फसिल थाना क्षेत्रक मोहनपुरकें अछि।

    बेख़ौफ़ अपराधी गंडक कात मे माटिक खननकें लय मजदूर प्रदीप महतोकें गोली मारि देलक। बताओल जा रहल अछि जे, वर्चस्वक लेल अहि इलाकामे बहुत पहिने सं विवाद चलि रहल अछि।

    रविदिन मौक़ा पाबि कय अपराधी पहिने पीड़ितकें बंदूकका बट सं मारलक फेर ओकरा गोली मारि देलक। फिलहाल पुलिस अपराधिक गिरफ्तारीके लेल छापेमारीमे जुटल अछि।