आतंकी हमलाक आशंका सं दिवाली आ छठि पर बिहार मे हाई अलर्ट

    0
    311

    पटना, मिथिला मिरर: राज्य मे व्याप्त शांति व्यावस्था के चूर-चूर करबाक लेल दीवाली आ छठि के अवसर पर आतंकवादी बिहार मे सिरियल ब्लास्ट के साजिश रचि सकैत अछि। खुफिया विभागक अहि सूचनाक बाद सुरक्षा एजेंसी अलर्ट भय गेल अछि।

    बताओल जा रहल अछि जे, इंडियन मुजाहिदीन के माध्यम सं पाकिस्तानी खुफिया एजेंसी आइएसआइ बिहार मे दिवाली के त्योहार के मातम मे बदलबाक फिराक मे अछि। खुफिया सूत्रक अनुसार इंडियन मुजाहिदीन के आतंकी पटना, मुजफ्फरपुर, गया, भागलपुर समेत सीमांचल इलाका मे दीवाली पर बम विस्फोट कय सकैत अछि।

    अहि खबर के बाद गृह मंत्रालय भारत-नेपाल बॉर्डर पर चौकसी बढ़ा देलक अछि। किशनगंज, फारबिसगंज, अररिया समेत सीमांचल के जिला मे सतर्कता बरतल जा रहल अछि। रक्सौल बार्डर पर एसएसबी जवानक सर्च आपरेशन चलाओल जा रहल अछि। रक्सौल के संग-संग नेपाल आ बांग्लादेशक सीमा पर सुरक्षा-व्यवस्थाक चाक-चौबंदक सेहो पुख्ता इंतज़ाम अछि।