उप मुख्यमंत्री तेजस्वी यादव के 44 हजार लड़की’क वैवाहिक प्रस्ताव

    0
    286

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक उप मुख्यमंत्री तेजस्वी यादव के 44 हजार लड़की विवाहक प्रोपोज देलनि। ई सबटा प्रोपोजल तेजस्वी के ओहि मोबाइल पर व्हाट्स एप्प मे आयल अछि जे, जनशिकायत के लेल सार्वजनिक कायल गेल छल।

    सूत्रक अनुसार ई नंबर खराब सड़क के जानकारी देबाक लेल छल। मुदा अहि पर शिकायत कम विवाहक प्रस्ताव अधिक आबि रहल अछि। प्रिया, अनुपमा, मनीषा, कंचन आ देविका एहेन 44 हजार लड़की तेजस्वी यादव संग विवाह करय चाहि रहल अछि। एखन धरि अहि नंबर पर 47000 मैसेज मे 44 हजार विवाहक लेल प्रस्ताव छल, जहन कि मात्र 3 हजार मैसेज मे ख़राब सड़क के जिक्र छल।

    सूत्रक अनुसार अधिकतर लड़की मैसेज मे सिर्फ अप्पन नामे टा नहि बल्कि फिगर साइज, रंग आ लंबाई सेहो विस्तार स बतौने छथि। 26 सालक तेजस्वी यादव लालू आ राबड़ी के सबस छोट बेटा छथि।