सकरी-निर्मली रेलखंडक आमान परिवर्तनमे लागत समय

    0
    269

    दरभंगा, मिथिला मिरर: एडीआरएम राजेश कुमार पांडेय कहलनि जे, सकरी-निर्मली रेल खंडक आमान परिवर्तनमे समय लागत। बुधदिन सकरी जंक्शनके निरीक्षणक दौरान ओ कहलनि जे, ट्रेन चालकक किछु समस्या छल, जकर एक माहक भीतर हल हेबाक उम्मीद अछि। संरक्षा सं संबंधित सब बिदु पर विशेष निर्देश देल गेल अछि। निरीक्षणके दौरान ओ स्टेशन परिसरक साफ-सफाई पर विशेष ध्यान देबाक निर्देश देलनि।

    सड़क मार्ग सं दिनके करीब एक बजे सकरी जंक्शन अपन सहकर्मिक संग पहुंचल एडीआरएम रनिंग रूम, स्वीच रूम, ओएफसी रूम, रिले रूम, शौचालय सहित पूरा स्टेशन परिसरक निरीक्षण केलनि। ओ रनिंग रूमक पंखाकें तत्काल बदलबाक तथा परिसरमे वेपर लाइट लगेबाक एवं ओएफसी केवलकें ठीक करबाक निर्देश देलनि।

    निरीक्षणके दौरान डीईआई राजेश रंजन श्रीवास्तव, सीनियर डीओएम सुमन कुमार भारती, सीनियर डीएसटीई अभिषेक कुमार, टीआई सत्य प्रकाश, डीईई देवेन्द्र सिंह, आरपीएफ एएसआई लालसा प्रसाद एवं स्टेशन अधीक्षक राज देव पासवानकें अलावा अन्य रेल कर्मी आ पदाधिकारी उपस्थित छल।