नोटबंदी’क खिलाफ 28 दिसंबर कय राजद करत धरना प्रदर्शन

    0
    491

    पटना, मिथिला मिरर: मोदी सरकारक नोटबंदीक फैसला पर शनिदिन पार्टीक सांसद आ विधायकक संग मंत्रणा केलाक बाद राजद सुप्रीमो लालू यादव आंदोलन तेज करबाक एलान केलनि। पटना मे मीडिया स बात करैत लालू प्रसाद कहलनि जे, 28 दिसंबर क राजद के सब जिला मुख्यालय पर धरना प्रदर्शन होयत। बाद मे नोटबंदीक खिलाफ पटना मे विशाल रैलीक सेहो आयोजन कायल जायत।

    राजद सुप्रीमो कहलनि जे, सब विपक्षी दलक पैघ नेता के रैली मे एबाक अपील कायल गेल अछि। ओ कहलनि जे, नोटबंदीक बाद के हालातक लेल मोदी जिम्मेवार अछि। 28 दिसंबर के बाद सब विपक्षी दलक नेता सं भेट कय नोटबंदीक खिलाफ आंदोलन तेज करब।

    अहि सं पहिने सांसद आ विधायकक बैसक मे लालू कहने छलाह जे, कांग्रेस के नसबंदी जेना मोदीक नोटबंदी के हाल अछि।