छैठ पर्वक दौरान खगड़िया मे तीन आ मुजफ्फरपुर मे दू गोटेक डूबला सं मौत

    0
    279

    मुजफ्फरपुर/खगड़िया, मिथिला मिरर: बिहार के खगड़िया मे छैठ पर्वक दौरान तीन गोट बच्चाक नदी मे डूबला सं मौत भय गेल। घटना जिलाक चौथम थाना के भरपुरा घाटक समीप के अछि, जतय बागमती नदी मे डूबला सं तीन गोट बच्चाक मौत भय गेल।

    एसडीआरएफ के टीम आ स्थानीय गोताखोर तीनु लहास के तलाश कय रहल अछि। घटना के संबध मे बताओल जा रहल अछि जे, एकटा बच्चा जहन डूबल त ओकरा बचेबाक लेल एक-एक कय दू गोट बच्चा पानि मे उतरी गेल। मुदा पानिक बहाव तेज़ हेबाक कारने दुनु बच्चा बहि गेल। जानकारी के अनुसार नदी मे पानिक धार बहुत तेज छल।

    घटना के बाद सं इलाका मे मातमी सन्नाटा पसरल अछि। स्थानिय प्रशासन के अधिकारी घटना स्थल पर कैंप कय देख रेख कय रहल छथि। दोसर दिस मुजफ्फरपुर मे सेहो छैठ व्रतक दौरान भेल एकटा हादसा मे दू गोटे के डूबि जेबाक खबरि भेटल अछि।