मधुबनीमे मिथिला फुटबॉल टूर्नामेंटक भव्य शुभारंभ

    0
    279

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मिथिला स्पो‌र्ट्स क्लब मकसूदा द्वारा आयोजित ललित नारायण मिश्र फुटबॉल ग्राउंड मकसूदामे ‘मिथिला फुटबॉल टूर्नामेंट 2017’क भव्य शुभारंभ कएल गेल। बृहस्पतिदिन साँझमे खेलल गेल एक दिवसीय महिला फुटबॉल मैचक उद्घाटन स्थानीय विधान पार्षद सुमन कुमार महासेठ आ विवेकानंद मिशन विद्यापीठकें निदेशक श्रवण पूर्वे केलनि।

    एक मात्र महिला फुटबॉल मैच बिहार एलेवन महिला टीम पटना आ बंगाल एलेवन महिला टीम कोलकाताक बीच खेलल गेल। जाहिमे बिहार एलेवन महिलाक टीम 3-0 सँ मैच जीत कए कप पर कब्जा केलक।

    मैचक उद्घाटन करैत एमएलसी सुमन महासेठ कहलनि जे, खेल व्यवस्था जीवनक आधार अछि।शिक्षाक एकटा मुख्य अंग खेल अछि। हमार शिक्षा आ निक सामाजिक परिवेशक नतीजा अछि जे, पटना आ कोलकाताक महिला टीम फुटबॉल मैच खेलबाक लेल मकसूदा पहुंचल अछि। खिलाड़िक़ हौसला अफजाईक स्थानीय विधाक समीर कुमार महासेठ जहन मैदान पहुंचलाह त दर्शकक उत्साहक ठिकाना नहि रहल।