अनन्त पूजा पर मणिकांत झा’क इ विशेष प्रस्तुति

    0
    339

    मिथिला के प्रांगण मे
    घरे घरे आँगन मे
    अरिपन संग ओरियान
    अयलनि अनंत भगवान ।
    चौदह गेंठ के रेशम डोरा
    लाल पीयर कुमकुम
    सब रंग जोड़ा
    बच्चा लेल फनंत प्रमाण
    अयलनि अनंत भगवान ।
    आदि काल पूजल कौन्डिल शीला
    बिष्णु केर देखल अजगुत लीला
    छन्ने मे भेला धनवान
    अयलनि अनंत भगवान ।
    पसरल देखू भरि गामक डाली
    पूरी हलुआ संग दही केर प्याली
    धूप दीप फूल और पान
    अयलनि अनंत भगवान ।
    मिथिला मे घर घर सब दिन पाबनि
    दीप जरय अखनहुँ राखि उपर लाबनि
    मणिकांतक भेल दियमान
    अयलनि अनंत भगवान ।।
    मणिकांत झा , दरभंगा ।
    अनंत चतुर्दशी