जदयूक राज्यसभा सांसदकें घर बम सं हमला, 4 घायल

    0
    287

    भागलपुर, मिथिला मिरर: जदयूक राज्यसभा सांसद कहकशां परवीनकें घर रविदिन साँझ अपराधी बम सं हमला कए देलक। हमला सांसदकें इशाकचक मस्जिद स्थित घर पर कएल गेल। जाहिमे सांसदकें भैसुर आ सरकारी अंगररक्षक संग दू टा समर्थक जख्मी भए गेल। सब घायलकें अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल।

    दू दिन पहिने राज्यसभा सांसदके पति सह निवर्तमान वार्ड पार्षद मोहम्मद नसीमुद्दीनकें अपराधी फोन पर 10 लाखक रंगदारी मांगलक। रंगदारी नहि देला पर अपराधी सांसदके जान सं मारबाक धमकी देने छल।

    सांसद कहकशां परवीनके अनुसार रंगदारी नहि देला पर अपराधी हमर पतिकें निशाना बनाकए बम फेंकने छल। मौका पर पहुंचकय पुलिस जदयू सांसद आ सांसदके पति सं पूछताछ केलक। पुलिस जाँचमे रंगदारी मांगए वलाक मोबाइल नंबर दिल्लीक अछि।

    भागलपुरके एसएसपी कहलनि जे, मामलाक तहकीकात कएल जा रहल अछि। दोषीक खिलाफ जल्द कार्रवाई कएल जाएत।