‘पेटीएम वॉलेट’ बनल ‘पेटीएम पेमेंट बैंक’, विजय शेखर झा’क नाम लाइसेंस जारी

    0
    279

    दिल्ली, मिथिला मिरर: पेटीएम वॉलेट आब पेटीएम पेमेंट बैंक बनय जा रहल अछि। टाइम्स अॉफ इंडिया मे पब्लिक नोटिस के माध्यम सं कंपनी अपनन उपभोक्ता के ई आधिकारिक जानकारी  देलक अछि। कंपनी अप्पन नोटिस मे कहलक अछि जे, आरबीआई सं नव पेमेंट्स बैंकक अप्रूवल भेटलाक बाद कंपनी अप्पन वॉलेट बिजनेस के ट्रांसफर कय रहल अछि। आरबीआई द्वारा पेमेंट बैंकक लाइसेंस विजय शेखर झा के नाम पर देल गेल अछि।

    पेटीएम पेमेंट्स बैंक लिमिटेड के आरबीआई के दिस सं अंतिम मंजूरी भेट गेल अछि आ जल्दिये कंपनी अपन परिचालन शुरू करत। कंपनी कहलक अछि जे, यदि ग्राहक कंपनी सं जुड़ल रहबाक या नहि रहबाक 15 जनवरी सं पहिने कोनो जानकारी नहि लैत अछि त ग्राहकक पेटीएम वॉलेट ओतबे रकम मे पेटीएम पेमेंट बैंक लिमिटेड मे ट्रांसफर भय जायत। संगहि ग्राहक यदि चाहय त अप्पन बांकी रुपैया बैंक अकाउंट मे ट्रांसफर कय सकैत अछि।

    अहि के अलावा यदि ग्राहक के वॉलेट पिछला 6 महीना सं निष्क्रिय हो आ ओहि मे जीरो बैलेंस हो त ई पेटीएम पेमेंट्स बैंक लिमिटेड मे टा धरि ट्रांसफर नहि होयत जा धरि ग्राहक अहि के लेल विशिष्ट सहमति नहि देत। ग्राहक एेप मे या वेबसाइट के जरिए लॉग इन कय अहि के जानकारी दय सकैत अछि।