भारतीय नोट पर मैथिली दृष्टिगोचर हैव सुखद, केंद्र सरकार कें धन्यवादः संजय झा

    0
    296

    दिल्ली-मिथिला मिररः एखन धरि भारतीय मुद्रा पर मात्र 17 गोट भाषामे टकाक मुल्य लिखल जाइत छल मुदा केंद्र सरकार आ प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी कें पहल सं आब मैथिली सहित अन्य भाषाकें सेहो भारतीय मुद्रा पर जगह भेटत। आब 17 भाषाक जगह भारतीय नोट पर 22 गोट संवैधानिक भाषामे ओहि टकाक मुल्य लिखल भेटत। केन्द्र सरकार कें अहि निर्णय कें स्वागत योग्य कहैत बिहार विधान परिषद कें पूर्व सदस्य आ वर्तमानमे बिहार फाउंडेशन कें उपाध्यक्ष संजय कुमार झा एकरा एकटा सार्थक आ स्वागत योग्य डेग बतौलाह।

    पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी कें प्रति आभार प्रकट करैत संजय झा कहला जे मिथिला अटल जीक योगदान कें कहियो नहि बिसरि सकैत छथि। चाहे ओ मैथिलीकें आठम अनुसूचीमे शामिल करेवाक बात हो आ कि कोसी पर पुल बना पूर्वी एवं पश्चिमी मिथिला कें एक करब। एतबे नहि इ अटल बिहारी वाजपेयीक देन थिक जे आइ प्रति वर्ष कतेको छात्र-छात्रा मैथिली भाषा सं संघ एवं राज्य लोक सेवा आयोग’क तैयारी कऽ अपना आप कें एकटा प्रतिष्ठित पद पर सुशोभित कय रहला अछि।

    एतबे नहि संजय झा आगू कहैत छथि जे जखन अंग्रेजीक प्रतिष्ठित अखबार आ देशक बुद्धिजीवी वर्गक बीच अतिलोप्रिय दैनिक ‘द हिन्दू’ मे जखन मैथिलीक विज्ञापन देखैत छी त मोन गदगद भय जाइत अछि। मैथिली संस्कृतिक अगर बात करी त ओ वैश्विक स्तर पर सब सं पुरान संस्कृतिमे सं एक अछि आ जरूरत छैक जे मैथिल एक मंच पर आबि मिथिला मैथिलीक विकासक लेल एक होइथ। दरभंगामे अंतरराष्ट्रीय स्तर कें हवाई अड्डा बनेवाक बात पर अपन पूर्ण सहमति दैत संजय कुमार झा कहला जे हम पूर्ण रूप सं अहि मांगक समर्थन मे छी आ हमरो अहिठाम हवाई अड्डाक ओतवे खगता अछि जतेक की एकटा आम मैथिलजन कें छन्हि।